
“ जागु मैथिल जागु “
लोकतंत्र के महापर्व संसदीय चुनाव नज़दीक अछी।
मिथिला राज आन्दोलन के मतदान स जोडबाक आवश्यकता छैक। यदि मिथिलावासी जाति धर्म आ आपसी मतभेद भुला कए एकजुट हेता त २०१९ मिथिला राजक लेल निर्णायक भय सकैत अछी।
मतदान ओहि जन प्रतिनिधि या राजनीतिक दल के जे मिथिला राज निर्माणक ले प्रतिबद्ध होइथ ।
राजनितिक दल अपन घोषणा पत्र में मिथिला राज निर्माण क प्रति समर्थन आ प्रतिबद्धता जाहिर करथि।
मिथिलाक सर्वांगीण विकासक लेल एकमात्र विकल्प
“ मिथिला राज “
२०१९ मिथिला क इतिहास मे अविस्मरणीय भय सकैत अछी।
हमरा सभक लेल ई स्वर्णिम अवसर अछी ।
संगहि समस्त मिथिलावासी स विनम् आग्रह जे मिथिला राज क लेल शुरू कयल गेल एहि ओनलाईन आवेदन के क्लिक कय हस्ताक्षर करी आ अन्य मैथिल जन आ मित्र लोकनि स आवेदन के हस्ताक्षर के लेल सेहो आग्रह करी।
अपन एक मिनट दय मिथिला के दशा आ दिशा बदलबा मे सहयोग करी आ सहभागी बनी ।
“ अंधेरे को कोसने से अच्छा है कि उजाले के लिए प्रयास किया जाय “
जय मिथिला जय मैथिली जय मैथिल